अध्याय १

1 मशिह येशूके कैदी पावल आ हमरा तिमोथी से हमरा प्यारा साथी आ सङगीकर्मी फिलेमोनके , 2 आ हमर बहिनी अप्फिया आ हमरा सङगी-सिपाही आर्खिप्पस आ अहा के घरमे भेल मण्डली सब, 3 परमेश्‍वर पिता आ हमर प्रभु येशू मशिह के अनुग्रह आ शान्ति । 4 तोहरा सबके प्रार्थना मे याद करै छी हम सबदीन परमेश्‍वर के धन्यवाद दइछी । 5 प्रभु येशू मे भेल अहा के विश्‍वास आ प्रेम आ विश्‍वासी सब पर भेल अहाके प्रेम के बारेमे सुनले छी । 6 हम प्रार्थना करै छी कि मशिह मे हमसब मे भेल सब असल बात के ज्ञान के लेल अहा सबके विश्‍वासके सहभागीता प्रभावकारी रहइ । 7 के त अहा के प्रेम से हमरा बहुतै आनन्द आ सान्त्वना पैले छी कैलाकी भाइ अहा अपमा विश्‍वास सबके हृदय ताजा बनौलियइ । 8 उही कारण स अहा के कथि करे परत, अहा के बात आ अहा सबके आज्ञा दिएके लेल मशिह मे हमरा साहस मिलल तैना कि 9 प्रेम के कारण हम वृद्घ पावल, येशू के लेल एगो कैदी छी , हम अहा सबके बिन्ती करै छी। 10 हम अप्पन बेटा ओनेसिमसको के लागि अनुरोध करैछी जेना हम कारागारमे रहल छलि हम पिता बनली 11 कैला कि एक बार उ अहा के लेल काम नलागेवाला व्यक्ति रहलैइ आ अभी उ अहा के आ हमसब दुनुगोरा के काम लागेवाला भेल छी । 12 हम हुनका, जे हमर हृदय हइ तोहरा लाग भेज रहल छी । 13 हम सुसमाचार के लेल करागारमे रहित उ अहा के बदलामे हमर सेवा करे के रहलैय कहीक हम ओकरा हमअपमा साथे राखेके चाहित रहलिय । 14 लेकिन हम अहा के पुछले बिना कुछो नै करे चहैछी । कैलाकी हम तोहरा के हमर लेल कुछ असल काम करेके लागी जबरदस्ती नै करै चाही छी आ तु अपने राजीखुशी स करे हम चाही छी । 15 अब सायद अहा सबदीन के लागी ओकरा फिर्ता पाबे सकु कहिक उ कुछ समय के लागी अलग भेल हइ । 16 एक दास के रुपमे नै आ दास से बनिया एगो प्रिय भाइ के रुपमे ग्रहन करु । हम ओकरा प्रेम करै छी आ अहुँ हुनका प्रेम कारु । अहा हुनका अपना शरिर समैझ क आ प्रभुमे भाइके रुपमे प्रेम करु । 17 जेना हमरा सहयोगी माइन क से स्वीकार करै छी कहिक हुनका सेहो हमरा जइसाही स्वीकार कारु । 18 आ उ कोनो भुल कइले छै कहिक हमरा दोष लगाउ आ कुछ तिरेपरतैइ कहिक हनरा हिसाब मे राख्देब । 19 हम पावल, अपना स हाते इ बात लिखरहल छी, कि उ हम अहा के तिरेवाला छी । हम इ उलेख नै करब, कि अहा अपना जीवन के लेल हमरा प्रति केते कर्ज दार छी । 20 यौउ भाइ , हमरा आनन्दके लेल प्रभुमे कुछ बढिया ; मशिह मे हमर हृदय के ताजा बनाऊ । 21 अहा हमर आज्ञा पालन करै छी कहिक निश्‍चित भक हम अहा के ई पत्र लिख रहल छी । हमरा विश्‍वास छैइ कि अहाके हम कहले छली ओइसे ज्यादा करबैइ । 22 साथे, हमरा लेल एगो कोठा तयार करु, कैलाकी हम आशा करै छी , कि अहा के प्रार्थना स हम बहुत जल्दी भेट आइब रहल छी । 23 मशिह के लेल मसित कैद मे भेल इपाफ्रास भि अहासबके अभिवादन पठौउले छैइ । 24 साथे हमर सहयोगी सब मर्कुस, अरिस्तार्खस, डेमास आ लूका भि अभिवादन पठौउले छैइ । 25 हमरा येशू मशिह के अनुग्रह तोहरा आत्मा साथ रहो । आमेन।