अध्याय १

1 येशू मशिहके दास और प्रेरित सिमोन पत्रुसके तरफ सअ हमरा सबके परमेश्‍वरके धर्मिकता और मुक्‍ति दियबाला येशू मशिहमे हमरे सब जाका मुलवान विश्‍वास पाब बाला सबके 2 अनुग्रह होय हमरा सबके परमेश्‍वर और येशू मशिहके ज्ञान सअ आहांसबमे शान्ति बौहते होइते जाय । 3 अपने महिमा और असक गुण सअ अपना सबके बोलाव बाला परमेश्‍वरके ज्ञान सअ अपना सबके ईश्‍वरके शक्‍तिके जीवन और धार्मिकताके लेल जरुरी परबाला सब कुच देल गेल है । 4 अही चिज सब सअ ओ परमेश्‍वर हमरा सबके बरका मोलके और सब सअ बरका बच्चा सब देने है । आहांसब संसारके खराब इच्छा सअ आवबाला भ्रष्‍ट काम सअ भाइग कअ ईश्‍वरके स्‍वभावमे सहभागी होइब सकी कैहक ओ एना केलकै । 5 अही कारण सअ आहांसबके विश्‍वासमे असल गुण असल गुणमे ज्ञान थपके लेल प्रयास करु । 6 आहासबके ज्ञानमे अपनसंयम और अपनसंयमे धैर्य आरो धैर्य मे ईश्‍वरभक्‍ति । 7 ईश्‍वरभक्‍तिमे भाइ बहिन बाला स्नेह और अपना भाइ-बहिन बाला स्नेह मे प्रेम थपू । 8 जब यी चीजसब आहासबमे हैय और बौहते बैरतै जाय है त प्रभु येशू मशिहके ज्ञानमे आहांसब बिना फलके नै होब । 9 लेकिन उ आदमी आनहर है जेकरामे यी चिजके घटी है और लगके चीज मात्रे देखै है । उ यी बात बिसैर गेल रहै छै कि हम पुरणा पाप सअ धुवल गेल छी । 10 अही कारण हे भाइ अपन बोलाहट और चुनाउ पक्का करके लेल जतेक सकै छी ओतेक प्रयास करु । आहांसब एना करब त आहांसब नै ख सब । 11 अही कारण, हमरा सबके प्रभु येशू मशिहके कहियो अन्त नै होबबाला राज्यमे पैस के लेल आहासब के बौहते अनुमती (स्वागत) मिलत । 12 अही कारण, यी सबहे बात आहांसबके थाह है और ऐय सच्चाईमे आहांसब मजबुत छी लेकिन तैयो हम आहांसबके यी बात सब समझावके लेल तयार छी । 13 जब तक हम ऐय देहमे रहबै तब तक आहांसबके जग्गे रखनाई और यी बातसबके बारेमे आहांबसके समझौनाई हमरा लेल बन्हिया है कैह कअ हमरा लगैय । 14 कैलाकी हम अपन देह के बौहते जल्दीये छोड बाला छियै कैह कअ हमरा देखौने है । 15 हमरा मरला के बादमे भि आहांसब यी बात सबके सबहे दिन याद कर सकु कैह कअ हम जतेक सकब ओतेक प्रयास करब । 16 कैलाकी हम सब येशू मशिहके शक्‍ति और आगमणके बारेमे आहांसबके जब बतौलियै तब चलाखी स गरहल मनके कथा सबके हम सब नै पछयौलियै, लेकिन हम सब हुनकर देखल वैभवके गवाह रैहियै । 17 ओ ( प्रभु येशू मशिह ) परमेश्‍वर पिता सअ आदर और महिमा पौलकैय, वैय पुरावाला वैभव के महिमा सअ एहन आवाज आएल रहैः “यी हमर प्यारा बेटा है, जेकर सअ हम बहुत खुशी छी । 18 हम सब जब हुनका जरे ओय पवित्र पहाड्मे रहियै हम सब अपने सअ स्वर्ग स एल ओय आवाजके सुनलियै । 19 हमरा सब लअ भेल अगमवाणीके वचन और पक्का भअ गेल है, जेकरा आहां सब पालन करके लेल बन्हिया कोशिश करैछियै । यी जब तक इजोत नैय होय और आहां सबके हृदयमे भोरके तरेगन नै उगै तब तक अन्हारमे चम्क बाला इजोत जाका है । 20 आहां सब पहिले यी जानू कि लिखल कोनो भविष्यवाणी अगमवक्ताके अपने तरफ से नैय अबै है । 21 कैलाकी कोनो भी अगमवाणी आदमी सबके इच्छा सअ नै एल है लेकिन परमेश्‍वरके तरफ सअ बाला पवित्र आत्मा सअ सिखाउलगेल आदमी सब सअ एल है ।